बीहनि कथा

 पानीक सदुपयोग 


पड़ोसीक छत केर दीवार सेह जुड़ल पानीक पाइप सॅं‌ पानी टपकैत छल।

ओहि ठाम हम्मर दादी फुलक गमला सॅं घास निकालैत छलनि।

पानी टपकैत देखि जल्दी से एकटा पानी केर खराप मग उठैलनि आ टपकैत पानी ओहि से भरैत फूलक पौधा पटबै लगलनि।

हम कहलियनि ये दादी मां इ कि करैय छी ये?

इ पानी तऽ बड्ड गंदा अइच्छ।

दादी बजलनि पेड़ पौधाक लेल सभ पानी चिकन्ने अछि पेड़ पौधा मनुष्य नैन छल जकरा साफ पानी चाहि।

दादी जी बजलनि जों इ पुछलौं तऽ गंदा पानी केर अई से बढ़िया उपयोग हुमे सेह बताऊ।

हम ओहि ठाम से घिसैक लेलौंह कियेक हमरा संग कोनो जबाब ननि अइच्छ।

©® भुवनेश्वर चौरसिया 'भुनेश'

मकान नंबर -288/22, गली नंबर 6एच गांधी नगर गुड़गांव हरियाणा -122001

ई मेल पता:- bhunesh1976@gmail.com

Comments

Popular posts from this blog

कल्पना शक्ति

जे हम जानतिह

छुट्टी